हमला आ पिटाई के खिलाफ स्वास्थ्य कर्मिक विरोध प्रदर्शन

    0
    267

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: गायघाट पीएचसी मे 5 अगस्त क भेल तोड़फोड़ आ मारिपीटक खिलाफ स्वास्थ्य कर्मचारी विरोध मार्च निकाललनि। मार्च निकालबाक बाद कर्मचारी सिविल सर्जन कार्यालय आ समाहरणालय के समक्ष प्रदर्शन केलनि। प्रदर्शन मे शामिल कर्मचारी कहलनि जे, उपद्रविक गिरफ्तारीक संगहि सब पीएचसी मे सुरक्षा व्यवस्था बढ़ायल जाय, नहि त ई प्रदर्शन होईत रहत।

    अहि बीच गायघाट पुलिस उपद्रव मे शामिल रवि सहनी के गिरफ्तार केलक। 5 अगस्त क गायघाट पीएचसी मे प्रसूतीक मौतक बाद जमिकय उपद्रव भेल छल। जाहि मे प्रभारी चिकित्सक समेत छह स्वास्थ्य कर्मचारी चोटिल भेल छथि।

    प्रशासनिक हस्तक्षेपक बादो आठ दिन स स्वास्थ्य कर्मचारी संघक बैनर तर सब आरोपीक गिरफ्तारी के मांग कायल जा रहल अछि। गायघाट पीएचसी बंद रहबाक कारने आम लोक के काफी परेशानी भय रहल छन्हि।