पटना सं हमसफ़र त दरभंगा-जयनगर सं अंत्योदय ट्रेनक परिचालन अकटूबर सं संभव

    0
    291

    पटना, मिथिला मिरर: रेल मंत्रालय बिहार वासी के सौगात दैत अंत्योदय आ हमसफर के रूप मे तोहफा देलक अछि। बताओल जा रहल अछि जे, पटना जंक्शन स दू टा हमसफर ट्रेन चलाओल जायत।ओतहि दरभंगा आ जयनगर स पाबनि मे आबय बला के लेल बजट मे घोषित दू टा अंत्योदय ट्रेन अक्टूबर स चलाओल जायत।

    सूत्रक अनुसार रेलमंत्री सुरेश प्रभु सोमदिन विधिवत जानकारी के सार्वजनिक केलनि। जानकारी के अनुसार पहिल हमसफर ट्रेन पटना जंक्शन स बांद्रा टर्मिनल के लेल चलाओल जायत जहन कि दोसर पटना जंक्शन स पासिंग ट्रेन होयत, जे सियालदह स जम्मूतवी तक जायत। रेल बजट मे दरभंगा स जालंधर वाया रक्सौल-गोरखपुर होईत अंत्योदय चलेबाक घोषणा कायल गेल छल। जहन कि दोसर अंत्योदय ट्रेन जयनगर स उदना (महाराष्ट्र मे) के बीच चलत। सूत्रक अनुसार चारु ट्रेनक परिचालन अक्टूबर के पहिल सप्ताह स शुरू होयत।