पति केलक पत्नीक हत्या, तमसायल भीड़ लेलक पतिक जान

    0
    265

    वैशाली, मिथिला मिरर: बिहारक वैशाली मे बृहस्पति दिन दोहरा हत्याक मामला प्रकाश मे आयल। वैशाली थाना क्षेत्र अंतर्गत मदरना मे भेल घटना मे पहिने पति अप्पन पत्नीक हत्या केलक जकरा बाद तमसायल भीड़ पति के पिट-पिट कय जान सं मारि देलक।

    घटनाक मूल कारण घरेलू कलह बताओल जा रहल अछि। घरेलू कलह मे बृहस्पतिदिन भोए मे पति चाकू स अप्पन पत्नीक निर्मम हत्या कय देलक। पत्नीक हत्या के बाद जुटल गामक लोक पति के पिटनाई शुरू कय देलक। भीड़ एतेक उग्र भय गेल कि पति के मौत भय गेल।

    घटना के बाद इलाका के लोक सहमल अछि। फिलहाल पुलिस पति आ पत्नी दुनूक लहास अपना कब्ज़ा मे कय पोस्टमार्टम के लेल भेज देलक।