दरभंगा मे छापेमारी के दौरान 13 कार्टून अवैध दवाई बरामद

    0
    304

    दरभंगा, मिथिला मिरर: औषधि निरक्षकक टीम मंगलदिन आधारपुर गामक विपिन कुमार झा के घर छापेमारी कय अवैध दवाई बरामद केलक। टीम दंडाधिकारी अवधेश कुमार’क मौजूदगी मे विपिन के घर स 13 कार्टून मे 71 रंगक दवाई बरामद कय जब्त केलक। थाना पर जब्ती सूची बना कय सब कार्टून के सील कायल गेल। ओतहि सात संदिग्ध दवाई के नमूना लेल गेल, जकरा पटनाक बीडीसीसी लैब जांच मे पठेबाकक तैयारी कायल जा रहल अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, विपिन के भाई’क शिकायत आ सीएस के आदेश पर गठित टीम छापेमारी केलक अछि। जाहि मे बहेड़ीक निरीक्षक नीतू वाला, लहेरियासराय के चुनेंद्र महतो, जाले के आदिल हसन व दरभंगा नगर के रंजीत कुमार शामिल छल।

    मामला मे निरीक्षिकाक रिपोर्ट पर थाना मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि। थाना क्षेत्र मे शिवरामक बाद आधारपुर सं अवैध दवाईक बरामदगी के बाद बाजार मे पूरा दिन बहुतो गैर लाइसेंसी दोकान मे ताला लटकल रहल।