सृजन महाघोटाला: जयश्री ठाकुर गिरफ्तार

0
449

पटना मिथिला मिरर : बिहारक बहुचर्चित सृजन घोटाला मामलामे आरोपित बिहार प्रशासनिक सेवाक अधिकारी जयश्री ठाकुरकेँ सीबीआइ गिरफ्तार केलक अछि। हुनका पर आरोप छनि जे ओ महाघोटालाक जरिया बनी सृजन महिला समिति (भागलपुर) मे सेहो जयश्री खाता खोलि 7 करोड़ 32 लाख रु. जमा कएलनि। संगे सृजनसँ गाड़ी खरीदबाक लेल 14.50 लाख रुपैयाक लोन सेहो लेने छलिह। घोटालाकेँ पर्दाफाश हेबाक बाद हुनका तत्काल प्रभावसँ निलंबित क’ देल गेल छल। ओहिकेँ बाद भ्रष्टाचारक आरोपमे हुनका बर्खास्त क’ देल गेल। जाँचमे आरोपकेँ सही पबैत बिहार सरकारक कैबिनेट हुनका बर्खास्तगी पर मोहर लगा देने छल। कैबिनेट विभागक तत्कालीन प्रधान सचिव ब्रजेश मेहरोत्रा कहने रहैथ जे बांकामे भू-अर्जन पदाधिकारी रहैत जयश्री अपन मोनक मुताबिक जमीनक रेट तय क’ सरकारी खजानाकेँ नुकसान सेहो केने छलथि। आयसँ बेसी संपत्तिक मामलामे जयश्रीकेँ घर पर दू साल पहिने सेहो छापामारी भेल छल।

बतादी जे सृजन महिला विकास सहयोग समिति लिमिटेडसँ जुड़ल घोटाला भागलपुर वा बिहार मात्र धरि सीमित नहि छल, हालाँकि एकर कनेक्शन अंतरराज्यीय छल। देशक शायद ई पहिल घोटाला छल जकर जाँचक दौरान हरेक दिन घोटालाक रकम 100 करोड़केँ रफ्तारसँ बढ़ी रहल छल आ जाँचक बाद पता चलल जे घोटालाक रकम एक हजार करोड़ रुपैयाकेँ पार क’ गेल छल। सितम्बर 2018मे बिहारक वर्त्तमान उप मुख्यमंत्री सुशील मोदी पर सेहो एकर आंच पहुँचल छल जखन हिनकर बहिन रेखा मोदीक पटना आवास पर सीबीआई आ इडीक छापा पड़ल छल।

बात एहन अछि जे साल 2017क अगस्त मासक पहिल हफ्तामे भागलपुरक तत्कालीन जिलाधिकारी आदेश तितरमारेक हस्ताक्षर वाला एकटा चेक बैंक ई कहि वापस क’ देने छल जे  खातामे पर्याप्त पाई नै अछि, जखन की ओ चेक एकटा सरकारी खाताक छल। तत्कालीन भागलपुर ज़िलाधिकारी लेल इ हैरान करय वला बात छल। किएक त’ हुनका जानकारी छल जे खातामे पर्याप्त पाई अछि। एहिक बाद एकर जाँच लेल एकटा कमेटी बनेलनि।

कमिटीक जाँचमे पता चलल जे इंडियन बैंक आ बैंक ऑफ़ बड़ौदा स्थित सरकारी खातामे पाई नहि अछि। एकर बाद एहि बातक जानकारी राज्य सरकारके देलँ गेल। जाहि तरहें एहि घोटालाक परत खुलैत गेल वाकई इ अपना आपमे अलग छल। एहि घोटालाक नाम ‘सृजन घोटाला’ एहि लेल पड़ल  किएक त कतेको सरकारी विभागक रकम सीधे विभागीय खातामे नै जा क’ वा ओहि रकमकेँ निकाली ‘सृजन महिला विकास सहयोग समिति’ नामक एनजीओक 6टा खातामे ट्रांसफर क’ देल जाइत छल।  फेर एहि एनजीओकेँ कर्ता-धर्ता जिला प्रशासन आ बैंक अधिकारी सभक मिलीभगतसँ सरकारी पैसाकेँ हेरा-फेरी होइत छल। मामला सामने एबाक बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकेँ आदेश पर बिहार पुलिसक आर्थिक अपराध इकाईयक विशेष जाँच दल भागलपुर पहुँचल छल आ एहि टीमक नेतृत्व आईजी रैंकक पुलिस अधिकारी जे.एस. गंगवार क छलाह। हैरानीक बात ई छल जे एहि टीमकेँ ई समझयमे तीन दिनक समय लागल जे सरकारी खाताक पैसा एकटा एनजीओक खातामे कोना गेल।