दरभंगाक पारस अस्पताल मे हंगामा

    0
    266

    दरभंगा, मिथिला मिरर: पिछला दू दिन सं मृत अवस्था मे मरीजक ईलाज करय बला दरभंगाक पारस अस्पताल मे मृतक के परिजन द्वारा हंगामा कायल जेल। मरीज के परिजन के कहब छन्हि जे, मरलाक बादो अस्पताल अप्पन कमाई के लेल लगातार दू दिन से पेसेंटक ईलाज कय रहल छल। हंगामाक बाद मौक़ा पर पुलिस पहुचि कय मामला के शांत केलक।

    सूत्रक अनुसार मधुबनी जिलाक अरेर थाना क्षेत्र अन्तर्गत परौल गांव में किछु दिन पहिने जहरीला शराब पीबाक कारने बीमार पड़लाक बाद मरीज ईलाजक लेल अस्पताल पहुचल छल।