बेलवा मध्य विद्यालय मे ग्रामीण केलनि तालाबंदी

    0
    307

    पूर्णिया, मिथिला मिरर: पूर्णिया जिलाक रामपुर पंचायत अंतर्गत मध्य विद्यालय बेलवा मे प्रधानाध्यापक व स्थानीय शिक्षकक मनमानी रवैये सं आक्रोशित ग्रामीण विद्यालयक कार्यालय मे तालाबंदी कय विरोध प्रदर्शन केलक। जानकारी के अनुसार सोमदिन सैकड़ोक संख्या मे ग्रामीण विद्यालय पहुंचल। जतय विद्यालय के प्रधानाध्यापक धनंजय कुमार मिश्र के बिना ककरो प्रभार देने अनुपस्थित रहबाक कारण ग्रामीण आक्रोशित भय गेल।

    ग्रामीण दिलीप साह, शंकर दास, रंजीत दास, देव कुमार, प्रकाश कुमार साह, सरपंच खुदरू उरांव, तपेश्वर महतो, वार्ड सदस्य जेठा मुर्मू आदि कहलनि जे, विद्यालय मे प्रधानाध्यापक सहित शिक्षक समय पर नहि अबैत अछि आ समय स पहिने विद्यालय सं भागि जाइत अछि। जहन शिक्षकक अनुपस्थित रहबाक कारण पूछल गेल त बीआरसी मे बैसक मे भाग लेबाक बात कय टारि दैत अछि।

    ग्रामीण मध्याह्न भोजन मे अनियमितताक बात कहलनि आ शिक्षा व्यवस्था के चौपट करबाक आरोप प्रधानाध्यापक पर लगाओल गेल। ग्रामीण के अनुसार विद्यालय मे नहि त कहियो शिक्षा समितिक बैसक कायल जाइत अछि आ ने कोनो लेखा-जोखा देखाओल जाइत अछि। साल मे 50 सं 60 क्विंटल चाउर बचैत अछि, जकरा बंदरबांट कय लेल जाइत अछि। विद्यालय के नाम स एक एकड़ खेतिहर जमीन सहो अछि, जकर आमदनीक कोनो पता नहि अछि। विद्यालय मे किछु लोकल शिक्षक अप्पन दबंगताक रूतबा देखा आवाज उठाबय वला के मुंह बंद कय दैत अछि।