दरभंगा मे आपसी विवादक बाद बीडीओ दर्ज करेलनि प्रमुख के खिलाफ प्राथमिकी

    0
    261

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहार के दरभंगा मे बीडीओ के बधंक बनेबाक बाद विवाद गहराईत नजरि आबि रहल अछि। अहि मामला के लय बीडीओ के आवेदन पर सदर थाना मे प्रमुख पर प्राथमिकी दर्ज कायल गेल अछि। दोसर दिस जिलधिकारी मामला के गम्भीरता स लैत डीडीसी के नेतृत्व मे दू सदस्यीय जांच टीमक गठन केलनि, जे पूरा मामला के जांच कय रिपोर्ट देत।

    दोसर दिस प्रमुख सेहो अधिकारी के खिलाफ मोर्चा खोलैत आंदोलन करबाक धमकी देलनि। प्रमुख आरोप लगेलनि जे, नीतीश कुमार के राज मे जन प्रतिनिधी पर अफसरशाही हावी भय रहल अछि आ अधिकारी जन प्रतिनिधी के नहि सुनैत अछि।

    पूरा मामला बीडीओ द्वारा बजाओल गेल जनप्रतिनिधीक बैसक स जुड़ल अछि, जाहि मे प्रमुख बैसक के सूचना नहि देबाक आरोप बीडीओ पर लगेने अछि।