नव पदस्थापित बीसीओ’क अध्यक्षता मे भेल पैक्स अध्यक्षक बैसक

    0
    319

    मधुबनी, मिथिला मिरर: झंझारपुर अनुमंडल के अंधराठाढ़ी स्थानीय कृषि भवन मे सोमदिन प्रखंडक पैक्स अध्यक्षक एकटा बैसक भेल। नव पदस्थापित बीसीओ विभांशु कुमार अहि बैसक के अध्यक्षता केलनि। ओ जानकारी दैत कहलनि जे, पैक्स मे धान बेचबाक लेल किसानक पंजीकरण कराबय पड़त। बिना पंजीकरण के किसान स धानक खरीद नहि होयत।

    बीसीओ विभांशु कुमार सब पैक्स अध्यक्ष के निर्देश देलनि जे, अप्पन-अप्पन पंचायत क्षेत्रक सब किसान आ रैयतदारक नव पंजीयन कराओल जाये। किसानक पंजीकृत हेबाक लेल ऑनलाइन आवेदन जरुरी अछि, जाहि मे फोटो, जमीनक रसीद, एलपीसी बैंक पासबुक आ आधार कार्ड अनिवार्य अछि।

    ओ कहलनि जे, पंजीकरण कोनो भी साइबर कैफे स या अप्पन पैक्स के माध्यम स कायल जा सकैत अछि। कुमार ने सब पैक्स अध्यक्ष स अप्पन-अप्पन क्षेत्र मे किसानक पंजीकृत करेबाक लेल जागरूक करबाक आह्वान केलनि। अहि बैसक मे संजय कुमार झा, राम गुलाम भंडारी, हरिमोहन मंडल, पवन झा, राजेंद्र झा, चंद्रशेखर साफी, दिगंबर यादव, रामाशीष मंडल सहित बहुतो पैक्स अध्यक्ष मौजूद छलाह।