विद्यापति पर्व समारोह मे अनुप जलोटा देताह प्रस्तुति

    0
    322

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर मे विद्यापिति राजकीय पर्व समारोहक तैयारी के लय क विद्यापति धाम मंदिर परिसर मे एकटा बैसक के आयोजन कायल गेल।

    बैसक के अध्यक्षता विधानसभा अध्यक्ष विजय कुमार चौधरी केलनि। बैसक मे 12 नबम्बर सं 14 नबम्बर धरि आयोजित होबय वला तीन दिवसीय राजकीय समारोह के लय क चर्चा कायल गेल।विधानसभा अध्यक्ष हरेक बिंदु पर बारीकी सं जिलाधिकारी प्रणव कुमार एवं जिला के अन्य अधिकारी संग चर्चा केलनि।

    अहि के संग विधानसभा अध्यक्ष मंदिर परिसर मे चलि रहल तैयारी के सेहो जायजा लेलनि। ओ कहलनि जे, समारोहक तैयाऋ जोर-शोर सं चलि रहल अछि आ कार्यक्रम पूर्ण रुप सं भव्य होयत। अहि समारोह मे सांस्कृतिक कार्यक्रम के दौरान देशक प्रसिद्ध भजन गायक अनुप जलोटा भजन संध्या’क प्रस्तुति देताह।