मुजफ्फरपुर मे 21 जनवरी कय बनत 530 किमी के मानव शृंखला

    0
    369
    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: राज्य सरकार मद्य निषेधक प्रति जागरूकता फैलेबाक लेल 21 जनवरी क मानव शृंखला तैयार करबाक फैसला केलक अछि। ई मानव शृंखला 1821 किलोमीटर लंबा होयत।सरकार सब जिलाधिकारी के निर्देश देलक अछि जे, हुनकर क्षेत्र मे मानव श्रृंखला नहि टूटय। अहिके लेल बृहस्पति दिन डीडीसी अरविंद कुमार वर्मा समाहरणालय सभागार मे विशेष बैसक बजौलनि।
    सूत्रक अनुसार बताओल गेल अछि जे, मुजफ्फरपुर-दरभंगा, मोतिहारी-समस्तीपुर, हाजीपुर-सीतामढ़ी मार्ग पर मुजफ्फरपुरक सीमा मे सड़कक कुल लंबाई 180 किलोमीटर अछि। एक किलोमीटर लंबा मानव शृंखला बनेबा मे करीब दू हजार लोकक जरूरत होयत। अहि तरहे 180 किलोमीटरक लेल 3.60 लाख लोक चाही। अहि के अलावा जिलाक आंतरिक मार्ग 350 किलोमीटर के अछि।
    एकटा अनुमानक अनुसार एतय अटूट मानव शृंखलाक लेल करीब सात लाख लोके चाही। डीडीसी दुनू अनुमंडल पदाधिकारी के निर्देश देलनि जे, ओ बीडीओ, सीओ तथा थानाध्यक्षक बैसक कय अप्पन-अप्पन क्षेत्रक सीमा के निर्धारण कय ली।
    प्रखंडस्तरीय अन्य अधिकारी सेहो अहि मे सहयोग करताह। मानव शृंखला मे सब पदाधिकारी, कर्मचारी, आशा, आंगनबाड़ी सेविका, सहायिका, जीविका के दीदियां, वर्ग चार स ऊपर के सब छात्र-छात्रा, जनप्रतिनिधि, आम लोक शामिल हेताह।