दरभंगामे एमएसयूक अनिश्चितकालीन उपवास शुरू

    0
    277

    दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिला स्टूडेंट यूनियनक कार्यकर्ता लोकनि पर दरभंगा पुलिस द्वारा कैल गेल बर्बरतापूर्ण कार्रवाई आ ओहिकें बाद अमित, सागर, विमल आ निकिता पर लगाओल गेल भारतीय दंड संहिताक विभिन्न धाराकें तहत मुकदमाक विरोधमे एमएसयू शनिदिन सं दरभंगा समाहरणालयक सम्मुख अनिश्तिकालीन उपवास शुरू केलक अछि। एमएसयूक मांग अछि जे दरभंगा पुलिस सब सं पहिने आंदोलनी पर लगाओल मनगढ़ंत धारा कें निरस्त करैत एफआईआर कें समाप्त करय।
    एमएसयूक राष्ट्रीय अध्यक्ष कमलेश मिश्र जनौलाह जे शनिदिन राइतमे दरभंगामे ठाम-ठाम नुक्कड़ नाटक कऽ बिहार सरकार आ दरभंगा पुलिसकें विरूद्ध अपन विरोध दर्ज कैल जाएत। संस्थाक अध्यक्ष कहलाजे दरभंगामे भेल पुलिसया कार्रवाईकें विरोधमे आमलोकक मध्य बहुत बेसी आक्रोश देखल जा रहल छैक। चाहे केहनो परिस्थिति भ जाए हमरा सब अहि आंदोलन सं पाछू नहि हटब आ चीनी मिलकें अपन अंजाम तक पहुंचा कय दम लेब।