जल्दी शुरू होयत इंडो-नेपाल ट्रेन सेवा: डीआरएम

0
731

मधुबनी/जनकपुर: भारत लेल नेपाल सभसँ नजदीकक पड़ोसी देश छी। दुनु देशक बीच बेटी-रोटिक संबंध अछि। नेपालक संग कारोबारी रिश्ता अछि, एतबे नहि दुनु देशमे भाषाई, सांस्कृतिक संबंध सेहो अछि। एहनमे जँ भारत नेपालक बीच रेलसेवा पुनः शुरू होयत त’ निश्चित रुपेँ दुनु देशक निवासी लेल बड़ पैघ खुशिक गप होयत। इंडो-नेपाल ट्रेन परिचालनक तिथि शीघ्र निर्धारित होयत आ रेल परिचालन शुरू भ’ जायत। ई रेल सेवा जयनगर वाया जनकपुरधाम, कुर्था धरि निर्माणाधीन रेलखंडक कंस्ट्रक्शनकेँ फाइनल अरैंजमेंटक निरीक्षण करबाक लेल डीआरएम रविन्द्र कुमार जैन पहुँचल छलाह। डीआरएम सभसँ पहिने इंडियन स्टेशन जयनगरकेँ सर्कुलेटिंग एरिया, रनिंग रूम समेत स्टेशन परिसर स्थित अन्य विभागक निरीक्षण केलाह। मिथिलाक संस्कृतिकेँ देखैत स्टेशन परिसरकेँ अंदर-बाहर हर जगह मिथिला पेंटिंगसँ सजबैक निर्देश देलनि। स्टेशन परिसरमे जगह-जगह पर फ्लोर उंच-नीच आ गंदगी देखल गेल जाहि पर डीआरएम फटकार लगबैत ओकरा ठीक करबाक निर्देश देलनि। संगही रनिंग रूममे बनल भोजनालयकेँ सुचारू रुपें व्यवस्थित करबाक लेल सेहो कहलनि। डीआरएम प्लेटफार्म पर पसरल पानी पर संज्ञान लैत आईओडब्ल्यूकेँ सख्त हिदायत देलनि। ओकर बाद तीन महिनासँ बंद पड़ल शौचालयकेँ शीघ्र चालू करबाक निर्देश देलनि। कस्टम अधिकारि, इरकॉन अधिकारीकेँ समक्ष कस्टम कार्यालयक लेल जमीन फाइनल केलाह आ भवन निर्माण करबाक निर्देश देलनि। जयनगर स्टेशनकेँ निरीक्षणक बाद डीआरएम रेल ट्रॉलीसँ जनकपुर लेल रवाना भ’ गेलाह। हुनका संग डीईएन वन सुमन भारती, इरकॉनक डीजीएम रवि सहाय, दीपक कुमार, आरपीएफ सहायक कमांडेंट अजीत कुमार शाही, कॉन्स्टेबल दिलीप कुमार, एईएन दरभंगा दिनेश कुमार सेहो गेलथि।

नेपालकेँ प्रभावित करबाक लेल दुनु एशियाई शक्ति भारत आ चीनमे होड़ मचल अछि। हिमालयी राष्ट्र नेपालकेँ पहिल आधुनिक रेल लाइनकेँ तौर पर तोहफाक रूपमे बहुत पैघ फायदा भेटत। दक्षिण-पूर्वी नेपालक जनकपुरकेँ बिहारक जयनगरस जोड़य वला 34 किलोमीटर लम्बा रेल संपर्क तैयार भेला पर कारोबार आ तीर्थयात्रामे बहुत इजाफा होयबाक उम्मीद जागल अछि। रेलवेक इ पहल दक्षिण एशियामे अपन प्रभाव जमावयकेँ एकटा कोशिश अछि। किएक त’ चीन अपन बेल्ट आ रोडक लेल अरबों रुपैया खर्च क’ रहल अछि। एकर एक मात्र उद्देश्य एहिकेँ जरिये मात्र आ मात्र अपन कारोबारकेँ अनेकोँ देशमे पसारय चाहैत अछि।