दरभंगासँ सहरसा गेनाइ आब आओर भेल आसान

0
2277

सहरसा, मिथिला मिरर : नया साल पर एकटा पैघ खुसखबरी भेंट सकैत अछि। नया साल कोसी क्षेत्रक लोक सभक लेल सौगात ल’ क’ आओत। कोसी क्षेत्रक पैघ आबादी राजधानी पटनासँ सीधा जुड़ि जायत, एहि लेल दूटा आर रस्ता खुजि जायत। कोसीमे बलुआहा पुलक रस्ते सहरसा-मधेपुराक लोकसभकेँ राजधानी पटनासँ सीधा सड़क संपर्क भ’ जायत। एहि  मार्ग पर आवागमन शुरू भेला पर सहरसासँ पटनाक दूरी 315 किमीसँ घटि क’ 195 किमी रहि जाओत। सहरसा आ दरभंगा जिलाक सीमा पर स्थित गंडौल आ दरभंगा जिलाकेँ बिरौलक बीच 12.6 किमी सड़क निर्माणक कार्य लगभग पूरा भ’ चुकल अछि। बाँकी बचल काज अगिला किछु दिनमे पूरा भ’ जाएत। एहि लेल युद्ध स्तर पर राइत-दिन काज चलि रहल अछि। निर्माण कार्य एजेंसीसँ जुड़ल लोक सभक दावा अछि जे एहि सड़ककेँ एहन तरीकासँ बनाओल गेल अछि जाहि पर कोनो आपातकालीन स्थितिमे फाइटर प्लेन तक उतारल जा सकैत अछि। आब बिरौलसँ पटना जाय वास्ते दूटा रस्ता भ’ जायत।

बतादी जे 2013मे  शुरू भेल इ परियोजना भू-अर्जन समेत कुल 404 करोड़क छल। कोसी क्षेत्रक सभसँ दुर्गम क्षेत्रमे 12 कि.मी सड़क निर्माणमे दूटा पैघ, 11ट छोट पुलक अलावे 21टा कल्वर्टक निर्माण कएल गेल। जनतब होयत जे गंडौलसँ बिरौल धरि 12 किमी क्षेत्र पूर्ण रुपेँ  जलजमाव वला इलाका अछि। एहि सड़क निर्माणक बाद सहरसाक लोक सभकेँ पटना जायमे सहुलियत होयत। कोसी नदीमे 4 वर्ष पूर्व निर्मित 2 किमी लंबा पुल बनबाक फायदा आब  भेटत। एहि पुलक रस्ते सहरसा पटनासँ सीधा संपर्कमे आबि जायत। जिला मुख्यालय सहरसासँ महिषीक बलुआहा स्थित कोसी पुलसँ गंडौल-बिरौल होइत बैर चौक, सिंघिया, रोसड़ा, समस्तीपुर, मुसरीघरारी, जनदाहा, हाजीपुरकेँ रस्ते चारि घंटासँ कम समयमे पटनाक दूरी तय करत।

कोसी महासेतु पर घतट ट्रैफिक लोड

एहिक संग-संग डुमरी पुल सेहो बनि क’ तैयार अछि। डुमरी पुल चालू भेलाक बाद सहरसाकेँ लोक सभकेँ लग दूटा आप्शन पटना जायके लेल रहत। फिलहाल पटना जेबाक लेल लोक सभ सुपौल, भपटियाही होइत कोसी महासेतु पार करैत छथि। डुमरी आ गंडौल-बिरौल पथ चालू होयबाक बाद कोसी महासेतु पर ट्रैफिक लोड कम भ’ जायत।