चीनी मिल शुरू नै भेलासँ आक्रोशित छथि किसान

0
750

दरभंगा, मिथिला मिरर : दरभंगा जिलाक अंतर्गत रैयाम चीनी मिल परिसरमे मजदूरक लेल बनाओल गेल मकानकेँ दुकान वास्ते भाड़ा पर लगेबाक फैसलाकेँ मिथिला स्टूडेंट्स यूनियन आ स्थानीय लोकसभ विरोध केलनि आ निर्माण कंपनीक खिलाफ जमिक’ नारेबाजी सेहो कएलनि। एहि दौरान भाड़ा पर लेबय वला दुकानदार आ यूनियनक सदस्य लोकनिकेँ बीच झोकां-झोकी तक भ’ गेल। लोक सभक कहब छलनि जे सालोंसँ बंद पड़ल चीनी मिलक निर्माण कार्य शुरू नहि क’ कंपनी दोकान जेना मकान बना क’ भाड़ा पर लगा रहल अछि। एहि मामलाकेँ सूचना भेटिते सीओ अजीत कुमार झा आ रैयाम थाना पुलिस घटना स्थल पर पहुँची स्थितिकेँ जायजा लैत विरोध करय वला यूनियनक सदस्य आ स्थानीय लोक सभकेँ समझा बुझा शांत करौलनि। सोओ तत्काल दुकानकेँ बंद करबैत एहि संबंधमे संबंधित कंपनीक जीएमसँ बात करबाक लेल 20 दिनक समय लेलनि।

जनतब होयत जे 1995 मे रैयाम चीनी मिल बन्द भेलासँ एतयकेँ किसानक किसानी संग-संग आर्थिक आ बेरोजगारिकेँ समस्या उत्पन्न भ’ गेल। बिहार सरकार एहिकेँ गंभीरतासं लैत जर्जर पुरान भ’ गेल  मिलकेँ नया तरीकासँ निर्माणक लेल तिरहुत इंडस्ट्रीज दिल्लीकेँ निर्माण कार्य पूरा करयकेँ ठेका देलनि संगहि 16 अप्रैल 2010के तिरहुत इंडस्ट्रीजक एमडी प्रदीप कुमार चौधरीकेँ आदेश पर मिलक चाभी तत्कालीन मिलकेँ ओएस गणपति मिश्रके सौंपल गेल छलनि। ओहि समयमे मिलक नव निर्माण काज एक सप्ताहकेँ भीतर चालू क’ साल 2011 के दिसंबरसँ मिलमे उत्पादन शुरू करबाक भरोसा देने छल। आब सात साल बाद अखनि धरि नै निर्माण काज पूरा भेल अछि। एहनमे मिल चालू हेबाक बात त’ दूर बुझना जाइत अछि। जे मिथिला कहियो चीनी उत्त्पदनमे अब्बल रहैत छल, ओ आई दोसरक चीनी पर निर्भर अछि। वास्तवमे ज’ ई मिल चालू भ’ जायत त’ एतयके स्थानीय लोक सभकेँ रोजगार भेटत आ पुनः अपन माटी-पानिमे उपजल कुसियारसँ बनल चीनी सेहो भेटत। किसानक आमदनीमे सेहो बढ़ोतरी होयत आ पलायनके दंशसँ सेहो मुक्त होयब। एहनमे सरकारकेँ एहि दिशामे तुरंत जरूरी कदम उठेबाक चाही।

गन्ना मंत्रीकेँ खिलाफ कएलनि प्रदर्शन

वाल्मीकिनगर थाना अंतर्गत चम्पापुर चौक पर भाकपा माले, अखिल भारतीय किसान महासभाकेँ कार्यकर्ता सभ एकटा आम सभा कएलनि। एहि सभामे किसान आयोग द्वारा निर्धारित समर्थन मूल्य नै भेटई पर किसान लोकनि अपन आक्रोश जतौलनि। एतबे नहि चीनी मील द्वारा कुसियारक भुगतान समयसँ नहि भेटब,पछिला सालकेँ मुताबिक महंगाईकेँ देखैत बढ़ल कीमत नै देनाइ, किसान सभकेँ मिल प्रबंधन द्वारा मनमानी रेट देला पर 27 दिसम्बरकेँ पश्चिम चंपारण बंदकेँ आह्वान केलक अछि। अखिल भारतीय किसान मोर्चा महासभाक वरिष्ठ नेता गुप्ता कहलनि जे ज’ सरकार जल्दिए संबंधित समस्याक निदान नै निकालत त’ आबय वला समयमे एकर खामियाजा सरकारकेँ भुगतय पड़त। बतादी जे सभाक बाद कार्यकर्ता लोकनि गन्ना मंत्रीक खिलाफ जबरदस्त आक्रोश व्यक्त करैत प्रदर्शन कएलनि। संगे सरकार विरोधी नारा सेहो लगौलनि।