भागलपुरमे बनत 50 बेडक कैंसर अस्पताल

0
532

भागलपुर, मिथिला मिरर : भागलपुर स्थित जेएलएनएमसीएच अस्पतालमे कैंसर अस्पताल निर्माणक प्रक्रिया शुरू भ’ गेल अछि। एहि लेल केंद्रीय कमेटी, स्वास्थ्य विभागक संयुक्त सचिव आ अधिकारि लोकनि एकटा बैसार कएलनि। बैठकमे मेडिकल कॉलेजक प्राचार्य डॉ. हेमंत कुमार सिन्हा आ अस्पताल अधीक्षक डॉ. आरसी मंडल शामिल भेलाह। बैठकमे ई निर्णय भेल जे जेएलएनएमसीएचमे 50 बेडक कैंसर अस्पतालक निर्माण कएल जाए। प्राचार्य बतौलनि जे कैंसर अस्पताल खोलबाक योजना केंद्र सरकारक अछि। राज्य सरकारकेँ माध्यमसँ प्रस्ताव केंद्र सरकारकेँ भेजल जायत। तीन साल पहिने केंद्र सरकार द्वारा अस्पताल खोलबाक प्रस्ताव राज्य सरकारकेँ पठाओल गेल छल। मुदा अस्पताल खोलबाक प्रक्रिया प्रारंभ नै कएल गेल छल, एहि कारण मामला लंबित छल। आब फेरसँ अस्पताल खोलबाक प्रक्रियामे तेजी आयल अछि।

बतादी जे भागलपुर जिलाक नवगछिया अनुमंडलकेँ खरीक, रंगरा, बिहपुर आदि क्षेत्रमे कैंसरसँ पीड़ित मरीजक संख्या बेसी अछि। एहिके अलावे अन्य प्रखंडमे मुंह कैंसरसं लोक सभ  पीड़ित छथि। आइएमए द्वारा आयोजित स्वास्थ्य शिविरमे मुँहक कैंसरकेँ अलावे लीवर आदि कैंसरक मरीज सेहो भेटल छल। भागलपुरमे कैंसर जाँचक व्यवस्था नहि अछि। कैंसर पीड़ित रोगी सभकेँ इलाजक लेल पटना वा अन्य शहरक चिकित्सक लग रेफर कएल जाइत अछि। एहनमे ज’ अपने शहरमे एहि तरहक बीमारीकेँ इलाज शुरू होयत त’ उचित समय पर रोगिकेँ इलाज हेतनि आ परिजनके सेहो बेसी दिक्कत नै होयत। कैंसर एकटा खतरनाक बीमारी छी। अमूमन एहि बीमारीसँ ग्रसित भेलाक बाद बहुत संयम स’ रहबाक जरूरत होईत छैक। संगहि ज’ समय पर एकर इलाज नहि होयत त’ जिनगी बचनाइ मुश्किल होइत छैक।