मधुबनी सदर अस्पताल मे काज नहि करय वला डॉक्टर हेताह निलंबित

    0
    309
    मधुबनी, मिथिला मिरर: योगदानक बादो प्रभार ग्रहण महि करय वला चिकित्सक बर्खास्त कायल जेताह। संगहि पदस्थापित होबय के बाद योगदानक पश्चात अनाधिकृत रूप स अनुपस्थित चिकित्सक पर आवश्यक कानूनी कार्रवाई सेहो कायल जायत। जिला मे विशेषज्ञ चिकित्सक के जल्दिये प्रतिनियुक्ति होयत। उक्त बात स्वास्थ्य विभागक प्रधान सचिव आरके महाजन बुधदिन साँझ मे सदर अस्पतालक निरीक्षण के दौरान कहलनि।
    महाजन सदर अस्पताल के महिला वार्ड, पुरुष वार्ड, बच्चा वार्ड, नशा मुक्ति केंद्र, ओपीडी, निबंधन केंद्र,
    दवा वितरण केंद्र समेत सब वार्डक निरीक्षण केलनि। सदर अस्पताल के साफ सफाई के देखि प्रधान सचिव प्रसन्न छलाह। सीएस डाॅ अमर नाथ झा प्रधान सचिव सं चिकित्सक,स्टॉफ, नर्सक कमीक जिक्र केलनि। जकरा बाद प्रधान सचिव कहलनि जे, जल्दिये विशेषज्ञ चिकित्सकक नियुक्ति कायल जायत।
    सिविल सर्जन डा. झा सचिव के सदर अस्पताल मे पांच चिकित्सक जे योगदान देबाक बादो पदभार नहि लेबाक बात सं अवगत करौलनि। जकरा बाद प्रधान सचिव हुनका बर्खास्त करबाक बात कहलनि तथा 8 चिकित्सक जे योगदानक बाद अनाधिकृत रूप स अनुपस्थित छथि, हुनका पर आवश्यक कार्रवाई करबाक निर्देश देलनि।