कुलपति साकेत कुशवाहा लेलनि नैक निरीक्षण के तैयारी’क जायजा

    0
    298

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के अंगिभूत आ संबद्ध महाविद्यालय मे नैक निरीक्षणक कार्य चलि रहल अछि। नैक निरीक्षण नव नियमक अनुसार अनिवार्य कय देल गेल अछि। जाहिके कारण एकर महत्व काफी अधिक भय गेल अछि।

    नैक ग्रेडिंग के बाद विश्वविद्यालय अनुदान आयोग आ रूसा स विकास मद मे महाविद्यालय के राशि भेटत। एकर महत्व के देखैत कुलपति प्रो. साकेत कुशवाहा नैक निरीक्षण होबय वला महाविद्यालय मे तैयारीक जायजा स्वं लेलनि। सीएम साइन्स कॉलेज के नैक ए-ग्रेड देलक अछि।

    बुधदिन ओ विश्वविद्यालय स संबद्ध डॉ. नागेन्द्र झा महिला महाविद्यालय पहुंच कय तैयारिक जायजा लेलनि आ शिक्षक के जरूरी दिशा निर्देश देलनि। एतहि राष्ट्रीय सेवा योजना के सौजन्य स कुपलति गरीबक बीच कम्बल के वितरण सेहो केलनि।