दरभंगा मे हथियारक संग दू गोट अपराधी गिरफ्तार

    0
    263

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बुधदिन दरभंगा पुलिस के एकटा बड्ड पैघ सफलता हाथ लागल, जहन दू टा अपराधी के 11 टा गोली आ दू पिस्तौलक संग गिरफ्तार कायल गेल। नगर थाना मे आयोजित प्रेस कॉन्फ्रेंस मे एएसपी दिलनवाज अहमद कहलनि जे, करीब एक महिना पूर्व मोबाइल लूट मे गिरफ्तार अपराधी के मोबाइल मे पिस्टलक संग तस्वीर देखि कय पुलिस खोज मे लागल छल।

    गिरफ्तार प्रिंस एकटा प्रोफ़ेसर सं रंगदारी मांगय आ गोली चलेबाक मामला मे पहिनहु जेल जा चुकल अछि, आ फिलहाल बेल पर छल। एक महिना स पुलिस एकर तलाश कय रहल छल। गत मंगलदिन राति प्रिंस अप्पन एकटा संगी भैरव के संग दरभंगा आयल छल।

    अहि बातक भनक लगिते विश्विद्यालय थाना, नगर थाना एवं बेंता ओपी द्वारा संयुक्त छापेमारी कय प्रिंस एवं सहयोगी भैरव के हथियारक संग गिरफ्तार केलक।