स्वराज इंडिया शुरू केलक रेडियो कैंपेन

    0
    253

    दिल्ली, मिथिला मिरर: निगम चुनावक लेल स्वराज इंडिया रेडियो कैंपेन शुरू केलक अछि। अहि कैंपेनके तहत स्वराज इंडिया सात रेडियो स्पॉट तैयार केलक अछि। पार्टीक अध्यक्ष योगेंद्र यादवकें आवाजमे जारी अहि संदेशमे स्वराज इंडिया दिल्लीक जनता सँ भावनात्मक अपील केलक अछि।

    रेडियो कैंपेनमे दोसर राजनीतिक दल पर तंज सेहो कसल गेल अछि। अहिकेँ संग योगेंद्र यादव पार्टी प्रत्याशिकें आवंटित चुनाव चिन्ह सीटीकें सेहो प्रचारित करैत सुनाई दैत छथि। ई रेडियो स्पॉट दिल्लीके विभिन्न एफएम चैनल पर प्रसारित कएल जाएत।

    अपन भावनात्मक अपीलमे यादव कहलनि जे, भले ही स्वराज इंडिया लग कोनो सरकार नहि अछि, होर्डिंग आ टीवी विज्ञापन पर खर्च करबाक लेल रुपैया नहि अछि, मुदा सच अछि, साफ दिल आ साफ दिल्लीक लेल एकटा सटीक योजना अछि आ अहि सबहक संग जनताक भरोसा सेहो अछि।