देवी सीताक जन्मस्थली सीतामढ़ी अछिः डाॅ.बीरबल झा

    0
    307

    दिल्ली-मिथिला मिररः केन्द्रीय संस्कृति आ पयर्टन मंत्री (स्वतत्र प्रभार) डाॅ. महेश शर्मा द्वारा राज्य सभामे जानकीक जन्म भूमि सीतामढ़ी आ हुनक जन्मस्थल सँ जुड़ल प्रश्न पर देल गेल जवाबक बाद मंत्रीक चारू दिस आलोचना भऽ रहल अछि। उच्च सदनमे डाॅ. महेश शर्मा कहने छलाह जे सीताक जन्म स्थान सीतामढ़ी आस्थाक सवाल अछि नहि कि ई प्रमाणिक अछि। डाॅ. महेश शर्मा द्वारा देल अछि अहि बयानकेँ भूरि-भूरि निंदा करैत मिथिलालोक फाउंडेशनक चेयरमैन आ शिक्षाविद डाॅ. बीरबल झा कहला जे देवी सीताक जन्मस्थली सीतामढ़ीक पुनौराधाम छैन्ह। निश्चित रूपसँ मंत्री एहन तरहक बयान दऽ नहि सिर्फ सीताक अस्तित्व पर प्रश्नचिह्न लगौलनि अपितु ओ बाल्मीकि रचित रामायण पर सेहो संदेह ठाढ़ कऽ देलाह। जे कथिमपि उचित नहि।
    डाॅ. झा कहला जे ई मात्र पुरूष प्रधान समाजक देन अछि जे हमरा सब सिर्फ आ सिर्फ राम मंदिर निर्माणक बाद करैत छी जखन कि बिनु सीता रामक कोनो अस्तित्व नहि, अहि बातकेँ स्वयं राम तक स्वीकार कऽ चुकल छथि। एतबे हि झा कहला जे राम मंदिर कियैक ई हमरा लोकनिक आस्थाक विषय थिक हमरा सब चाहब जे जौं अयोध्यामे राम मंदिरक निमार्ण हो तऽ सीतामढ़ीमे माँ जानकीक भव्य मंदिर सेहो बनैन। डाॅ. झा कहैत भेलाह जे केन्द्रीय मंत्री बयान निश्चित रूपहि गैर जिम्मेदाराना छैन्ह आ हुनका अपन बयान वापस लैत हिन्दू समाजसँ बिना शर्त मांफी मंगवाक चाही।