बिजली-पानीक सहारे निगम धरि एबाक जुगतमे ‘आप’

    0
    277

    दिल्ली, मिथिला मिरर: बिजली बिल आधा आ पानि बिल माफक नारा दए दिल्लीक सत्तामे काबिज आम आदमी पार्टी नगर निगम चुनावमे सेहो अहि मुद्दाकें भजेबाक जुगतमे लागल अछि। 23 अप्रैल कय होबय वला मतदान सँ पूर्व मतदाताकें रिझबामे जुटल आप दिल्लीमे जगह-जगह पोस्टर लगेलक अछि।

    पोस्टरमे पार्टीके संयोजक अरविंद केजरीवालक फोटोक संग ई संदेश देल गेल अछि जे, यदि नगर निगम चुनाव भाजपा जीतत त दिल्लीमे बिजली आ पानीक दाम बढ़ाओत। यदि से नहि चाहैत छी त केजरीवालकें वोट देल जाउ।

    उक्त संदेश दैत बहुतो होर्डिंग्स जगह-जगह लगाोल गेल। पार्टीक प्रदेश संयोजक दिलीप पांडेय कहैत छथि जे, भाजपा बिजली आ पानी वितरण प्रणालीकें दिल्ली सरकार सँ छीन कय नगर निगमके अधीन करबाक जुगतमे अछि। यदि निगमकें सत्तामे भाजपा आओत त अहिना होएत।