अगर नीतीश कुमारक अपन बेटा कें गोली लागल रहैत त? आदित्य सचदेवक दादी

    0
    314

    दिल्ली-मिथिला मिररः गया मे राजद्रोहक आरोपी आ जेडीयूक निलंबित विधान पार्षद बिंदी आ मनोरमा यादवक बिगड़ैल बेटा राकेश रंजन यादव उर्फ राॅकी यादव द्वारा एकटा साधारण सबन बातचीत पर आदित्य सचदेव कें गोली माइर कऽ नृसंश हत्याक बाद परिवारक मानसिक स्थिति अत्यंत दैनिय बनल अछि। आदित्यक मां लगातार बेहोश भय रहलीह अछि त हुनकर पिता सुशासनक दाबा केनिहार बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं पूछि रहला कि ‘नीतीश बाबू बिहारक लोक कें अपने की निर्वंश रहवाक लेल कहैत छी?’
    ओमहर आदित्यक दादी अपन थड़थड़ाई अवाजमे आंखि सं अश्रु बहवैत कहैत छथि जे अगर इ गोली नीतीश कुमारक अपन बेटा कें लागल रहैत त कि नीतीश एखन तक चुप्प रहैत? नहि कखनो नहि, अगर एहन तरहक बाद रहैत त कोनो कहानी नहि बनैत आ पुलिस प्रशासन सेहो आनन-फाननमे अपन कार्यकें संपादति कय दैत। मुदा राज्य मे आम गरीब जनताक शोनित बहाओल जा रहल छैक आ नीतीश सुशासनक ढोंग रचवामे व्यस्त छैथ।