लालूक चक्रव्यूहमे नीतीश, बिंदी कें कारण मनोरमा कें बनाओल गेल छल एमएलसी

    0
    345

    दिल्ल-मिथिला मिररः हलांकि जेडीयू अध्यक्ष आ बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन चारूदिस होइत किरकिरीक बाद जेडीयू कोटा सं विधान परिषद्क सदस्य मनोरमा देवीकें त पार्टी सं निलंबित कय देलनि मुदा जौं मनोरमा देवी, बिंदी यादव आ ओकर बिगड़ैल बेटा राकेश रंजन उर्फ राॅकी यादवक प्रकरणकें देखी त एक बेर फेर सं इ स्पष्ट भय जाइत अछि जे अगिला किछु बरख अहिना नीतीश कुमार कें लालू प्रसाद यादव पिछलग्गूआ बनि कय रहल पड़तनि।
    दरअसल बिंदी यादव लालू यादवक खास चेलामे सं एक मानल जा रहल अछि आ इहै कारण छैक जे लालूक दवाबमे आबि नीतीश कुमार कें मनोरमा देवी कें अपना कोटा सं विधान पार्षद बनाबए पड़लनि। चूकि, बिंदी यादव पर देशद्रोहक मुकदमा चलि रहल अछि ताहि कारणें बिंदीक प्रत्यक्ष रूपसं राजनीतिमे शामिल नहि भय सकैत अछि। बिंदी यादव पर नक्सलीक संग सांठ-घांटक संग पुलिस ओकरा 600 जीवैत कारतूसक संग पकड़ने छल। ओ मुकदमा एखन धरि चलिए रहल अछि। मुदा विडंबना त देखू जे बिंदी यादव लग लाइसेंसी हथियार सेहो अछि आ किछुए दिन पहिने ओकर नवीनीकरण सेहो भेल अछि।
    पुलिस राकेश यादव उर्फ राॅकी यादवक गिरफ्तारीक बाद जे पिस्टल बरामद केलक ओ राॅकीक नाम पर दिल्लीक वसंत कुंज इलाकामे रजिस्टर अछि। एतबे नहि ओहि पिस्टल कें आॅल इंडिया लाइसेंस सेहो छैक जे हासिल करब आई कें तारीख मे बहुत कठीन कार्य छैक। इटलीमे बनल इ पिस्टल 20 बोर कें अछि आ पुलिस 19 बोर गोलीक संग राॅकीक गिरफ्तारी बिंदी यादवक एकटा मिल सं केलक। पुलिस इ गिरफ्तारी फोन टैपक आधार पर केलक।
    हलांकि पुलिस राॅकी आ बिंदी यादवक गिरफ्तारी त कय चुकल अछि मुदा मनोरमा देवीक गिरफ्तारी एखनो बांकी अछि। जखन पुलिस मनोरमा देवीक घर पर छापा मारलक त ओहिठाम सं शराबक बोतल सेहो भेटल, जे बिहारमे एखन गैर कानूनी अछि। मामला पूरा राजनीतिक छैक ताहि हेतु अहिमे बहुत बेसी प्रगति आ पुलिसिया कार्रवाई पर बहुत भरोसा करब उचित नहि, उपर सं राॅकीक बेर-बेर बयान बदलव अहि मैमलाकें आओर उलझा देलक अछि। उपर सं जाहि तरहें राॅकी बयान बदलि रहल अछि ओ अहि हत्याकांडकें आओर पेंचिदा बना कय छोड़ि देलक अछि।
    इ त शुरूआत मात्र अछि आगू-आगू नीतीश कुमारकें एहन-एहन बहुतरास चक्रव्यूहक सामना करए पड़तनि अहिमे कोनो शक नहि।