राज्यमे कानून-व्यवस्थाकें लय गृहमंत्री सं भेंट केलाह सांसद पप्पू यादव

    0
    284

    दिल्ली-मिथिला मिररः मधेपुरा सं सांसद आ जन अधिकार पार्टीक संस्थापक राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव मंगलदिन केन्द्रीय गृहमंत्री राजनाथ सिंह सं भेंट कऽ हुनका बिहारक लगातार गिरैत प्रशासनिक व्यवस्था सं अवगत करौलनि। सांसद पप्पू यादव कहला जे हम अपन बात केन्द्रीय गृहमंत्री लग रखलौह आ बिहारक वर्तमान स्थिति सं हुनका अवगत सेहो करौलहू। एक दिस स्थानीय सरकार स्वयं सुशासन घोषित करैत अछि आ दोसर दिस सूबेमे अपराध अपन सर्वकालीन चरम पर अछि।
    सांसद कहब छलनि जे एक दिस सरकार पूर्ण शराबबंदीक बात करैत अछि त दोसर दिस स्वयं सरकारक विधान पार्षद मनोरमा देवीक घर सं शराब पकड़ाइत अछि। दोसर दिस अपराधी सब बेखौफ भय कोनो घटनाकें अंजाम दय रहल अछि आ प्रशासन मूकबधीर भय तमाशा देख रहल अछि। स्थिति एहन छैक जे आम जनता तक आब इ बात बुझय लागल जे बिहारमे आब जीवन जीव ओतेक सहज नहि रहि गेल।