राफेल सौदामे कोनो तरहक गड़बड़ी नै : सुप्रीम कोर्ट, केंद्र सरकारकेँ भेटल पैघ राहत

0
443

दिल्ली, मिथिला मिरर : सुप्रीम कोर्ट आई राफेल डील पर एकटा पैघ फैसला सुनबैत कहलनि जे राफेल सौदाक प्रक्रियामे कुनु कमी नै छल। कोर्ट सीधे-सीधे कहलनि जे ओ सौदाक प्रक्रियामे दखल नै दैत। कोर्टक एहि फैसलाक बाद नरेंद्र मोदी सरकारकेँ बहुत पैघ राहत भेटत। सुप्रीम कोर्ट आई सुनवाईक दौरान ओ तमाम याचिककेँ खारिज क’ देलक जाहिमे इ आग्रह कएल गेल छल जे राफेल डीलक प्रक्रियाकेँ मॉनिटरिंग कएल जाए। कोर्ट कहलनि जे विमानक क्षमता पर सवाल उठेनाइ उचित नै अछि। संगे कोर्ट कहलक जे एहि डीलमे केंद्रक फैसला पर सवाल उठेनाइ ठीक नै। 126 विमानक बदलामे 36 विमान खरीद केनाइ कोनो तरहें गलत नै अछि। बतादी जे राफेल सौदाकेँ ल’ केंद्र सरकारक किरकिरी भ’ रहल छल आ विपक्ष लगातार हमलावर छल। मुदा कोर्टकेँ एहि फैसलासँ जे सौदेबाजीमे कुनु गड़बड़ी नै अछि केंद्र सरकारकेँ बड़ पैघ राहत भेटल।