सामाजिक समरसताकेँ बढ़ा गेलाह शहीद रतन

0
423

भागलपुर, मिथिला मिरर : भागलपुरक रतनपुर मदारगंज गाममे जाति-धर्म, ऊँच-नीचक भेद मिटा देलक। रतनकेँ एक झलक देखबाक लेल जतेक ललक हुनक परिवारकेँ छल ओहिसँ कनिको कम नै गामक लोक सभमे छल। शहीद रतनकेँ पार्थिव शरीर अयबासँ पहिने गाममे दर्शन लेल हजारोंकेँ भीड़ लागल छल। शहीद रतनकेँ घरक ठीक बगलमे अल्पसंख्यक परिवार रहैत छथि। रतनकेँ शहीद होयबाक सूचना भेटलाकेँ बाद जाहि तरहें हुनका लोकनिक घरमे मातम पसरल छल ओकर वर्णन लेल शब्द कम पड़ी रहल अछि। एहि घटनाकेँ ल’ लोकसभमे किछु बेसिए तामस अछि। शहीद रतनकेँ परिवारक दर्द पूरा गाम महसूस क’ रहल अछि। शहीद रतनकेँ घर दुःखक पहाड़ टूटल अछि। एहनमे मिल्लतक मिसाल एहन जे शहीद रतनकेँ घर पहुँचय वला सगा-संबंधीके पड़ोसी सभ आगू बढ़ी क’ पूछी रहल छथि। पूरा गाम लागल छथि जे किनको कोनो तरहक दिक्कत नै होई। शहीद रतनकेँ परिवारक गममे सांत्वना देबाक लेल पड़ोसक महिला सभ जमा रहैत छथि। हालाँकि शहीदक पत्नी राजनंदनीक नैहरसँ हुनक माँ सुनीता देवी सहित मामी, छोटकी बहन आ मौसी सेहो आयल छथि। रतनकेँ साउस कानी-कानी क’ कखनो क’ बदहवास सेहो भ’ जाइत छथि। एमहर गाममे रतनकेँ पार्थिव शरीर आयलाकेँ बाद हुनक बहिन नीतू किछु देर लेल बेसुध भ’ गेल छलिह। परिवारक सदस्य लगातार स्थितिकेँ सम्हारबाक कोशिशमे लागल छथि। बतादी पछिला तीन दिनसँ हुनक पत्नी राजनन्दनी अनजल नै क’ रहल छथि आ हुनक पुत्र कृष्णा कुमारकेँ ई नै बुझल छनि जे आब हुनक पिता एहि दुनियाँमे नहि छथिन। लगातार पीएचसीसँ आयल डॉक्टरक निगरानीमे शहीद रतनकेँ गर्ववती पत्नी राजनंदनीक इलाज क’ रहल छथि।

शहीद रतनकेँ पिता राम निरंजन ठाकुर कहैत छथि जे हमर बेटा त’ देशक लेल अपन प्राणक आहुति देलनि तकरा बादो हम हिम्मत नै हारलहू अछि। हम अपन पोता कृष्णाकेँ पुलिस अधिकारी बनायब। रतनकेँ पिता केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंहसँ ई बात कहलनि। गिरिराज भावुक पिताकेँ गला लगेलाह आ हुनक ढांढस बढ़ेलाह। गिरिराज सिंह हुनक पितासँ कहलनि जे अहाँक बेटाकेँ शहादत पर पूरा देश गर्व क’ रहल अछि। अहाँक पाछू पूरा सरकार अछि। ई बात सुनिते रतनकेँ पिताकेँ आँखी नोर भरी गेल आ मंत्रीसँ कहलाह जे हमर पोताक भविष्य बना दिय।

मुख्यमंत्री मंगलनि शहीद परिवारक आश्रित लोकनिक नाम
बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार रतनपुर, मदारगंजक रहय वला शहीद रतन कुमार ठाकुरकेँ आश्रित सभक सूची माँगलनि अछि। शहीद परिवारक आश्रितकेँ मुख्यमंत्री राहत कोष आ बिहार सरकारसँ आर्थिक सहायता देल जायत।जिला पदाधिकारी प्रणव कुमार बतेलनि जे बिहार सरकारकेँ तरफसँ 11 लाख रुपैयाक राशि पहिने द’ देल गेल। सोमदिन राहत कोषसँ 25 लाख रुपैयाकेँ सेहो स्वीकृति भेट गेल। दुनू मिला क’ 36 लाखक चेक देल जायत दिया। एहिसँ पूर्व सीएमकेँ निर्देश पर मुख्यमंत्री राहत कोषकेँ विशेष कार्य पदाधिकारीकेँ पाँच सदस्यक नामक सूची भेज देल गेल अछि। सीएम सचिवालयसँ चिठ्ठी भेटलाक बाद कहलगांव एसडीओ स्थल पर जा परिवारक लोकसँ बातचीत क’ प्रतिवेदन देलनि। प्रतिवेदनमे कहल गेल अछि, शहीद रतन कुमार ठाकुरक पूरा परिवार हुनके पर आश्रित छथि। परिवारमे वर्तमानमे पाँच सदस्य छथि। विशेष कार्य पदाधिकारीकेँ भेजल गेल सूचीमे पत्नी राजनंदनी कुमारी, पुत्र कृष्ण कुमार, पिता राम निरंजन ठाकुर, बहन नीतू कुमारी आ भाई मिलन कुमार ठाकुरके नाम शामिल अछि।