तेजस्वी अवार्डसँ सम्मानित भेलीह ऋतु प्रिया

0
487

दरभंगा, मिथिला मिरर : मिथिला सतत ज्ञानक नगरी रहल अछि। आदौ कालसँ एतय एकसँ बढ़ी एक ज्ञानी भेलाह। मिथिलाक नारी सेहो एहिमे पाँछा नै रहलीह। मिथिलाक बेटी सभ नित नव आयाम गढ़ी रहल छथि। दूनियाँक लगभग हरेक क्षेत्रमे ओ अपन दस्तक द’ रहल छथि। चाहे विमान उड़ेवाक बात होई वा साहित्य आओर चिकित्सा कोनो एहन क्षेत्र नै होयत जाहिमे मैथिलानी अपन उपस्थिती नै दर्ज करेलनि अछि। कतेको क्षेत्रमे अपन विद्वताकेँ बदौलत कतेको मैथिलानी पुरष्कृत भ’ चुकल छथि। देशक प्रतिष्ठित पदम् अवार्डसँ सेहो कतेको मैथिलानी सेहो सम्मानित भेलीह अछि। एकटा एहने मैथिलानी तेजस्वनी पुरस्कारसँ सम्मानित भेलिह अछि। जी अपने सही सुनी रहल छी, दरभंगा मेडिकल कॉलेजक एमबीबीएस फाइनलक छात्रा ऋतु प्रिया तेजस्वनी अवार्डसँ सम्मानित भेलीह अछि। मेडिकल कॉलेजमें एहि अवार्ड लेल आयोजित प्रतियोगितामे ऑल ऑवर ऋतु प्रियाकेँ नामक घोषणा कएल गेल। ई अवार्ड डीएमसीएचक वरीय स्त्री रोग विशेषज्ञ डॉ. सरोज वर्माकेँ तरफसँ हरेक साल चिकित्साकेँ क्षेत्रमे ऑवर ऑल चैम्पियनकेँ देल जाइत अछि। ई अवार्ड ऋतु प्रियाकेँ 22 फरवरी क’ डीएमसीकेँ स्थापना दिवसकेँ उदघाटन समारोहक पूर्व संध्या पर देल गेल। ई अवार्ड आर्यभटट विश्वविद्यालय पटना द्वारा आयोजित परीक्षामे सभसँ बेसी अंक प्राप्त करय वला, खेलकूद, डांसिंग, बागवानी, मुफ्त चिकित्सा शिविर, अनाथ बच्चाक सेवा समेत अन्य सामाजिक काज लेल पुरस्कार देल जाइत अछि। ऋतु प्रिया आर्यभटट विश्वविद्यालय पटनाकेँ तरफसँ आयोजित परीक्षाकाक पहिल सत्रमे 62, दोसर सत्रमे 65 आ तेसर सत्रमे 62.6 प्रतिशत अंक प्राप्त कएलनि। एहि चयन समितिमे प्राचार्य डॉ. एचएन झा, वरीय नेत्र रोग विशेषज्ञ डॉ. रमण कुमार वर्मा, वरीय स्त्री रोग विशेषज्ञ डॉ. सरोज वर्मा, छात्रावास अधीक्षक डॉ. वीके मिश्रा, फिजियोलॉजी विभागकेँ अध्यक्ष डॉ. शीला साहु, स्त्री एवं प्रसूति रोग विभागक अध्यक्ष डॉ. आशा झा आ सर्जरी विभागक अध्यक्ष डॉ. वीएस प्रसाद शामिल छलाह। डॉ. ओम प्रकाश समेत अन्य अधिकारी उपस्थित छलाह।

दरभंगा मेडिकल कॉलेजक मेधावी छात्र छात्राकेँ बीच पुरस्कार वितरण समारोह ऑडिटोरियममे सम्पन्न भेल। अंडर ग्रेजुएट आर्यभटट विवि पटनाक परीक्षामे ऑवर ऑल मेधावी छात्रके रूपमे पूजा कुमारीकेँ डॉ. एचएन यादव अवार्डसँ सम्मानित कएल गेल। एहिक अलावे बायोकेमेस्ट्री विषयमे जहीन फातिमा , एनाटोमीमे नेहा गुप्ता, मनीषा कुमारी आ आकांक्षा कुमारीके डॉ. केएनपी सिन्हा अवार्डसँ सम्मानित कएल गेल। तहिना फिजियोलोजीमे तनुश्री भारद्वाज, फर्माकोलोजीमे निवेदिता झा आ माइक्रोबायोलोजीमे शिखा झाकेँ डीएमसी गोल्ड मेडलसँ पुरस्कृत कएल गेल।