विक्षिप्त महिला’क बच्चा चोरी, सूचनाक बादो नहि दर्ज कएल गेल प्राथमिकी

    0
    372

    मधुबनी, मिथिला मिरर: जयनगर : जयनगरकें कमला रोडमे मानसिक रूप सं बीमार अज्ञात महिलाक 10 वर्षक बच्चा गायब हेबाक मामला प्रकाशमे आयल अछि। स्थानीय लोकक अनुसार बीमार महिला कोनो दोसर राज्यक अछि, तथा ओ मद्रासी भाषा बाजि रहल अछि। महिला लगभग एक सप्ताह सं भीख मांगिकए अपन बच्ची’क संग गुजारा करैत छल। महिला रातिमे कमला रोड स्थित काली मंदिरक समीप रहैत छल। मुदा बच्चा कखन गायब भेल ककरो किछु नहि पता।

    सीमावर्ती क्षेत्र जयनगरमें अहि घटनाकेँ मानव तस्करी सं जोड़ि कए सेहो देखल जा रहल अछि। अहि सम्बंधमे जयनगर थाना प्रभारी अजय कुमार कोनो जानकारी देबा सं मना केलनि। स्थानीय लोकक अनुसार पुलिसकें जानकारी देलाक बाद पुलिस आबि कए छानबीन केने छल, मुदा ओहिकें बाद कोनो घ्यान नहि देल गेल। एहेनमे मोहल्ला वला मानसिक रूप सं बीमार महिलाकें भोजन आ पानि दए रहल अछि। मुदा ओ अप्पन बच्चाक इंतेज़ारमे एखनहु चीत्कार मारि रहल अछि।