बेनीपुर के वयोवृद्ध स्वतंत्रता सेनानी गंगा प्रसाद यादवक निधन

    0
    394

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा के बेनीपुर मे वयोवृद्ध स्वतंत्रता सेनानी तथा समाजवादी नेता सह नवादा पंचायतक घोघिया निवासी गंगा प्रसाद यादवक बुधदिन निधन भय गेल। लगभग सौ वर्षीय यादव अप्पन पाछु एकटा पुत्र, तीन टा पुत्री सहित भड़ल पुरल परिवार छोड़ि गेलाह। हिनकर निधन के सूचना क्षेत्र शोकक लहड़ी दौरि गेल अछि, ओतहि अन्तिम दर्शनक लेल लोकक भारी भाड़ी जुटि गेल।

    अहि दौरान राम लखन मिश्र, अन्ना जी, हरे कान्त ठाकुर, भाजपा नेता मुन्नीद्र प्रसाद यादव, नागेश्वर यादव, जदयू के प्रमोद कुमार साहु, भाजपा सहकारिता मंचक जिलाध्यक्ष अवधेश कुमार झा, काग्रेस नेता राम कुमार झा बबलू, डा. अरविंद झा, बहेडी के पूर्व विधायक हरे कृष्ण यादव, गोपाल जी ठाकुर आदि शोक प्रकट केलनि।

    परिजनक अनुसार हुनकर अन्तिम संस्कार बृहस्पति दिन दस बजे दिन मे कायल जायत जाहि मे प्रदेशक वित्त मंत्री अब्दुल बारी सिद्दीकी सहित विभिन्न दलक नेता तथा अधिकारी गण भाग लेताह।