अहि उच्च विद्यालय मे केबाड़ बनल ब्लैक बोर्ड

    0
    270

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: कहबाक लेल त सीतामढ़ीक अहि विद्यालय के उच्च विद्यालय मे अपग्रेड कय देल गेल अछि, मुदा सुविधा मध्यो विद्यालय सन नहि। विद्यालय के स्थिति बदतर बनल अछि। छात्रक अनुसार शिक्षक स्कूलक केबाड़ पर चॉक स लिखि कय गणितक प्रश्न हल करय छथि।

    हम बात कय रहल छी सीतामढ़ीक औराई प्रखंडक रामजेवर प्लस 2 विद्यालय के, जतय बच्चा के पढ़ेबाक लेल केबाड़ के ब्लैक बोर्ड बना देल गेल। अहि विद्यालय के सात साल पहिनहि प्लस 2 मे अपग्रेड कायल गेल छल। ग्रामीण सोहन मांझी के अनुसार विद्यालय भवन 50 लाखक लागत स बनल।मुख्यमंत्री स्वं ऑनलाइन अहि विद्यालय के उद्घाटन केलनि। परंतु व्यवस्था के अभाव मे ई भवन ग्रामीणक लेल शौचालय बनल अछि।

    सूत्रक अनुसार विद्यालय मे इंटर कक्षा मे 150 बच्चाक नामांकन अछि, मुदा विद्यालय मे ब्लैक बोर्ड नहि। विद्यालय के नाम पर आधा-अधूरा भवनक निर्माण भेल अछि। शिक्षक के अनुसार चहारदीवारी नहि हेबाक कारने अक्सर बाहरक लड़का विद्यालय मे प्रवेश करैत अछि आ रोकला पर मारिपीट करैत अछि। बेंच-डेस्क नहि हेबाक कारने बच्चानीचां मे तिरपाल पर बैसैत अछि। उच्च विद्यालय मे एखन धरि एक्को टा शिक्षक नहि छथि, जाहि कारने शिक्षा व्यवस्था लड़खड़ायल अछि।