नवादा मे छापेमारी कय पुलिस बरामद केलक अधिक मात्रा मे विस्फोटक सामान

    0
    275

    नवादा, मिथिला मिरर: नवादा जिलाक पुरजौली के सवैयाटॉड़ पंचायतक सपही स मंगलदिन पुलिस छापेमारी कय विस्फोटक जखीरा बरामद केलक अछि। बताओल जा रहल अछि जे, एसएसबी आ पुलिस ई विस्फोटक जंगलक इलाका स बरामद केलक अछि।

    एसएसबी के कमांडेंट, एएएसपी अभियान आ वन विभागक संयुक्त कार्रवाई मे प्रशासन के ई सफलता हाथ लागल। सूत्रक अनुसार गुप्त सूचना के आधार पर प्रतिबंधित शारदा माइंस के समीप छापामारी मे ई विस्फोटक बरामद कायल गेल।

    अहि दौरान एतय सं नौ डेटोनेटर आ 46 जिलेटिनक रॉड सेहो बरामद कायल गेल अछि। अहि सं तीन महीना पूर्व छापेमारी मे पुलिस 14 अवैध हथियार सेहो बरामद केने छल। अहि जवाइंट ऑपरेशन मे भेटल सफलता के पुलिसक पैघ सफलता मानल जा रहल अछि।