सुपौलमे दोसरो दिन जारी रहल नियोजित शिक्षक’क अनशन

    0
    314

    सुपौल, मिथिला मिरर: बिहार राज्य प्रारंभिक शिक्षक संघ सुपौलकें बैनर तर अंतर वेतन बकाया राशि भुगतानक मांगकें लए शिक्षकक अनशन दोस्रो दिन जारी रहल। अनशन पर बैसल संघ जिला सचिव पुष्पराज एवं विकास कुमार कहलनि जे, जिलाक नियोजित शिक्षककें अंतर वेतन बकाया राशि विभागक उदासीनताके कारण 2009 सं लंबित अछि। बहुतो बेर अहि मुद्दाक लेल आवाज उठाओल गेल अछि, मुदा विभाग द्वारा कोनो सुनवाई नहि होइत अछि।

    कुछ दिन पहिने छातापुरमे आंदोलनरत शिक्षककें डीपीओ स्थापना द्वारा आश्वासन देल गेल कि 20 फरवरी तक लंबित भुगतान कय देल जाएत। बावजूद भुगतान नहि भेल। मजबूरन शिक्षककें फेर सं आंदोलनक सहारा लेबय पड़ल अछि। शिक्षक सब नेता पर आरोप लगौलनि जे, अनशन पर बैसल आंदोलनरत शिक्षकक एखन धरि प्रशासन कोनो सुधि नहि लेलक अछि आ ने स्वास्थ्य परीक्षण कराओल गेल अछि।

    शिक्षक सब कहलनि जे, जा धरि मांग पूरा नहि होएत ता धरि अनशन जारी रहत। अरूण कुमार आर्य, अशोक कुमार अरूण, प्रमोद पासवान, रूपेश कुमार रंजन, अमर कुमार सहनी, अशोक कुमार, फुलदेव कुमार, दिलीप कुमार पासवान, मो. असरफुल हौदा, रामदेश कुमार, ललित नारायण यादव, रामचन्द्र पासवान, अतुल आनंद, समीउल्लाह, नूतन पांडेय, नीतू कुमारी आदि आंदोलनकारीके समर्थनमे डटल छलाह।