मुजफ्फरपुर मे बस कर्मिक हत्या कैद भेल सीसीटीवी कैमरा मे, अपराधी के तलाश जारी

    0
    262

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर मे बस कर्मी के गोली मारि कय हत्या करबाक वारदात सीसीटीवी मे कैद भय गेल अछि। अहि के संग-संग हत्यारा के तस्वीर सेहो कैमरा मे कैद भय गेल अछि।

    घटना स्थल के समीप एकटा व्यवसायिक प्रतिष्ठान के सीसीटीवी फूटेज के पुलिस जांच केलक।सीसीटीवी मे कैद तस्वीर मे साफ-साफ बुझा रहल अछि जे, हत्या के बाद एकटा मोटरसाइकिल पर गोटे भागि रहल अछि।

    बुधदिन बीच शहर मे दिन दहाड़े भेल अहि हत्या कांडक जांच मे एसएसपी स्वं जुटि गेल अछि। एसएसपी विवेक कुमार दलबलक संग घटना स्थल पर पहुँचि कय जायजा लेलनि आ स्थानीय लोक सं पूछताछ केलनि।