दरभंगा मे बकरी चोर के बान्हि कय पिटलाक बाद लगाओल गेल कारी चून

    0
    299

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक उर्दू मोहल्ला मे बृहस्पति दिन स्थानीय लोकक बकरी चोरीक आरोप मे शहरक लालबाग निवासी मो0 मुस्तफा के पुत्र जुगनू के लोक सब पहिने बान्हि कय पीटलक आ फेर कारी चून लगा देलक।

    स्थानीय लोकक अनुसार किछु दिन सं मोहल्ला मे बकरी चोरीक घटना बढ़ि गेल छल आ चोर के रंगल हाथ पकड़ि लेल गेल। बाद मे उक्त युवक के परिजन पहुँच कय माफ़ी मांगलक, जकरा बाद युवक के छोड़ि देल गेल।