दहेज मे मात्र 100 के नोट चाही

    0
    258

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: रामबाग के मो. साहेबक नींद बुधदिन भोर मे फोनक आवाज़ सं खुजल। फोन पर लड़का पक्षक लोक छल। फोन उठबितहिँ सीधा आवाज आयल, हमरा दहेजक राशि सौ रुपैया के नोट मे चाही। 500-1000 के नोट हम नहि लेब। पहिने इंतजाम कर तहँ विवाहक तारीख तय होयत।

    ई बात सुनि कय मो. साहेबक बेचैनी बहुत अधिक बढ़ी गेल। ओ अप्पन शुभचिंतक के अहि बातक जानकारी देलनि। लोक सब हुनका समझेलक आ पूरा स्थितिक जानकारी देलक तहन हुनका तस्सली भेटलनि।
    मो. साहेब अप्पन बहिनक विवाह सीतामढ़ी मे तय केलनि अछि। सिर्फ तारीख तय भेनाइ बाकी अछि, मुदा अहि सं पहिने 500-1000 रुपैया के नोट बंद हेबा सं मो. साहेबक बहिनक विवाह मे  परेशानी आबि गेल अछि।
    मो. साहेब कहै छथि जे, दहेजक रुपैयाक इंतजाम भय जायत आ विवाहक तारीख तय भय जायत कोनो तरह, मुदा खरीदारी मे समस्या आबि रहल अछि।