पानि भरल डबरा मे ट्रैक्टर के खसला सं दू गोट भाई’क दर्दनाक मौत

    0
    309

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बिहार के बेगूसराय मे एकटा हादसा मे दू टा भाईयक दर्दनाक मौत भय गेल। घटना बुधदिन साँझ मे साहेबपुर कमाल थानाक्षेत्रक परौरा गामक अछि। एकटा ट्रैक्टर अचानक पानि सं भरल डबरा मे जा पलटल, जाहि सं ट्रैक्टर पर सवार दू टा भाईयक घटने स्थल पर मौत भय गेल। घटना ओहि समय के अछि जहन दुनु खेतक जोताई कय घर आबि रहल छल। अहि दौरान एकटा पुल के समीप ट्रैक्टर पानि सं भरल डबरा मे खसि पड़ल।

    मृतकक पहचान देवेन्द्र सिंह आ विनय सिंहक रुप मे कायल गेल अछि, जे परौरा गामक रहय वला छल। फिलहाल पुलिस दुनु लहास के पोस्टमार्टम के लेल पठा देलक अछि। दू टा सगा भाईयक मौत सं समुच्चा गाम मे मातमी सन्नाटा पसरल अछि।