बाॅलिवुडक स्थापित अभिनेता नरेन्द्र झा केर पिताक आकस्मिक निधन

    0
    313

    दिल्ली-मिथिला मिररः टीवी सं होइत बाॅलिवुडक फिल्मी जगतमे अपन दमदार अभियन सं लोक आ सिनेमा जगतमे स्थापित भए चुकल फिल्म अभिनेता नरेन्द्र झा केर पिता शुभ नारायण झा केर बुधदिन हृदयघातकें बाद रांचीक जमदेशपुरमे निधन भए गेलनि। पेशा सं कोइलख उच्च विद्यालय मे प्रधानाध्यापक पद सं सेवा निवृत भए चुकल झा केर आकस्मिक निधन सं पूरा परिवार सहित गाम-घरक लोक सन्न अछि। 91 वर्षीय मास्टर साहेब स्वस्थ्य छलाह आ मुदा आकस्मिक हृदयघातकें नहि झेल सकलैत।
    घटनाक बाद पूरा परिवार आब मास्टर साहेब कें पार्थिव शरीर कें जमशेदपुर सं हुनक पैतृक गाम कोइलख लाबि रहला अछि जाहिठाम हुनक अंतिम संस्कार कैल जेतनि। अपने कें बता दी जे 24 सितंबर 2016 कऽ मास्टर साहेबक धर्मपत्नी सुशीला देवीक सेहो निधन भए गेल छलनि आ ओकरा ठीक एम मास दू दिनक बाद मास्टर साहेब चलि जाइत भेलाह।
    मिथिला मिरर कें संपादक सं फोन पर भेल बातचीतमे मास्टर साहेबक सब सं छोट बालक ‘नरेन्द्र नारायण झा कहला जे हम मंगलदिन सेहो कक्का जी सं बात केने रही आ हमरा हुनक अवाज सुनी लगैल छल जे ओ एखन सौ बरख हमरा सबहक बीच रहता। कक्का जी हमरा शिकायत केलाह जे हमरा कानक वास्ते जे मशीन लौलाह अछि ओ 25 हजार टकाक छै, कहऽ जे एतेक दामी मशीनक की काज। हां, अहि मशीनमे किछु अवाज बढ़ावय पड़तैक’, एक महिनाक भीतर माए-बापकें चलि गेला सं नरेन्द्र झा सहित पूरा परिवार सन्न छथि, त गाम घरमे सेहो आब इ चर्चाक विषय बनि गेल अछि।
    विपतिक अहि समयमे मिथिला मिररक माध्यम सं कतेको गोटे पीड़ित परिवारकें अपन संवेदना पठौलनि अछि जोहिमे श्री न्यूज़ कें सीओओ गौरव द्विवेदी, डाॅ. बीरबल झा, मिथिला विकास परिषद कोलकाता कें राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा, दीपक फाॅउंडेशन कें अध्यक्ष दीपक झा सहित कतेको व्यक्तिक नाम शामिल अछि। मिथिला मिररकें दिस सं सेहो निवंगत आत्माक चिर शांतिक कामना आ पीड़ित परिवाक लेल सवताक कामना सेहो।