दरभंगा मे नोटबंदी के खिलाफ कांग्रेस’क प्रदर्शन

    0
    252

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: नोटबंदीक खिलाफ ‘अखिल भारतीय कांग्रेस कमिटि’ के निर्देश पर जिला कांग्रेस दिस सं जिला मुख्यालय पर एक दिवसीय धरना देल गेल। धरनार्थी नोटबंदीक खिलाफ पांची सूत्री मांगक समर्थन मे आवाज बुलंद कय रहल छलाह। धरनाक नेतृत्व जिलाध्यक्ष सीता राम चौधरी केलनि। मुख्य मांग मे सवाल पूछल गेल जे, देशक सब लोक सं कतेक कालाधन आयल। दोसर नोटबंदी सं आर्थिक नुकसान आ कतेक जान गेल।

    नोटबंदी सं तीन महीन पूर्व रुपैया जमा करय वला व्यक्ति आ संस्थाक नाम किऐक नहि बताओल गेल। 8 नवम्बर 2016 स देशक जनता जवाबक इंतजार कय रहल अछि। कांग्रेसक धरना के माध्यम स कहल गेल जे, 50 दिन मांगल गेल छल, बैंक सं रुपैया निकालबाक व्यवस्था एखनहु सामान्य नहि भेल अछि।

    अहि मौका पर अरूण कुमार झा, डॉ. पवन कुमार चौधरी, शंभुनाथ चौधरी पालन, डा. गणेश सिंह, दिनेश्वर राय, उग्रनारायण झा, रमेश चौधरी, डा. अरविंद झा, रामपुकार चौधरी, मनोज झा, जय शंकर चौधरी, अखिलेश चौधरी, अपलेन्द्र मिश्रा, प्रेमनाथ सिंह, रमन कुमार झा, शंकर झा, शिव कुमार ठाकुर, तनवीर अनवर, पूनम झा, इंद्रा देवी, दिनेश गंगनानी, मुन्नी देवी, डा. ज्योति, पिंकु गिरी, धनंजय सिंह, संजय मिश्र, राम विलास सिंह आदि अप्पन विचार व्यक्त केलनि।