प्रेम प्रसंग मे 10’म वर्गक छात्रक हत्या

    0
    276

    भागलपुर, मिथिला मिरर: भागलपुर के शाहकुंड मे दू दिन मे प्रेम करय वला के जान देवय पड़ल। बृहस्पति दिन पचरूखी गौचर बहियार मे हबीबपुर थाना क्षेत्रक कड़ोरी बजारक ओमदत्त चौधरीक लहास भेटल। जकर प्रेम प्रसंग मे हत्या कायल गेल। ओतहि बृहस्पति दिन राति मे शाहकुंड थाना क्षेत्र अंतर्गत सरौनी पंचायतक रसुल्ला गाम मे उमेश मंडल के पुत्र नंदकिशोर मंडल (18) के प्रेम करबाक सजा मौत के रूप मे भेटल।

    प्रेमिका के घरवला घर मे बंद कय पीट-पीट कय मारि देलक। लाठी-डंडा तथा धारदार कचिया सं प्रहार कायल गेल चल। अहि दौरान परिजन दबंगक आगू बेबस बनल रहल। गंभीर रूप स जख्मी हालत मे गामक समीप एकटा बगीचा मे फेंक देलक। परिजन घायल अवस्था मे शाहकुंड पीएचसी लय गेल, जतय सं मायागंज रेफर कय देल गेल। मायागंज अस्पताल मे ओकर मौत भय गेल।

    परिजन के अनुसार नंदकिशोर मंडल उच्च विद्यालय अंबा मे दसवीं कक्षाक छात्र छल। गामक अपने क्लासफेंंड स ओ प्रेम करैत छल। जे प्रेमिकाक घर वला के मंजूर नहि छल।