गया मे पिंडदानक लेल ऑनलाइन बुकिंग शुरू

    0
    311

    गया, मिथिला मिरर: गया मे अहि साल 15 स 30 सितम्बरक बीच पितृपक्ष मेला लागय जा रहल अछि, जाहि मे देश भरि स हिंदु श्रद्धालु अप्पन पूर्वज के आत्माक शांतिक लेल पिंडदान करबाक लेल अबै छथि।गया मे पिंडदान के समय भीड़ के देखैत बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम पिंडदान करय बला श्रद्धालुक लेल टूर पैकेजक ऑनलाइन बुकिंग शुरू केलक अछि।

    पैकेज मे खेबा-पीबाक, होटल मे रुकनाई, एबा-जेबा लेल एसी कार, पूजन सामग्रीक संग पंडाक दक्षिणा तक के सुविधा शामिल अछि। श्रद्धालुके अहि पैकेजक लाभ 15 स 30 सितम्बर धरि भेटतनि। बिहार पर्यटन विकास निगमक वेबसाइट www.bstdc.gov.in आ मोबाइल न. 9472238017 पर फोन कय अहि सुविधाक बुकिंग कराओल जा सकैत अछि।

    सूत्रक अनुसार पर्यटन निगम के अहि टूर पैकेजक लाभ पटना आ गया दुनू जगह स भेटत। जाहि मे पटना स गया के पैकेज एक दिनक आ पटना स गया, बोधगया, राजगीर, नालंदा भ्रमणक बाद पटना वापसीक दू दिनक पैकेज भेटत। दुनू दिनक पैकेज मे बोधगया मे रात्रि विश्रामक सेहो व्यवस्था कराओल जायत।

    अहि टूर पैकेज के तहत श्रद्धालु यदि एयरपोर्ट या रेलवे स्टेशन स पिंडदानक लेल गया जाय चाहता त ओहि जगह पर वाहनक सुविधा उपलब्ध कराओल जायत। स्थानीय लोक के घर स सेहो वाहनक सुविधाक व्यवस्था कराओल जायत।