31 अगस्त स शुरू होयत बरौनीक बिजली घर स बिजलीक उत्पादन

    0
    260

    बरौनी, मिथिला मिरर: तकरीब एक दशक के इंतजारक बाद बिहारक अप्पन पहिल इकाई बरौनी ताप बिजली घरक 110 मेगावाट बला पहिल इकाई स 31 अगस्त तक व्यवसायिक बिजलीक उत्पादन शुरू भय जायत। बृहस्पति दिन कोयला आधारित बीटीपीएस के अहि इकाई स परीक्षण मे 30, 40 मेगावाट बिजली उत्पादन कायल गेल। यदि सब किछु ठीक रहल त 31 अगस्त तक अहि स व्यवसायिक बिजलीक उत्पादन शुरू भय जेबाक संभावना अछि।

    भारत हेवी इलेक्ट्रिकल्स  द्वारा बिहारक बेगूसराय जिलाक बरौनी स्थित 110 मेगावाटक दू टा बिजली इकाइयक जीर्णोद्धार आ आधुनिकीकरणक काज कायल जा रहल अछि। बीटीपीएस के महाप्रबंधक अरुण कुमार सिन्हा कहलनि जे, फरवरी मे पहिल इकाई के हल्के डीजलक जरिये शुरू कायल गेल छल आ आब एकरा कोयला स चलाओल जा रहल अछि। संगहि 110 मेगावाटक व्यवसायिक उत्पादन लक्ष्य प्राप्त करबाक लेल लोड के धीरे-धीरे बढ़ाओल जा रहल अछि।

    उल्लेखनीय अछि जे,  मुजफ्फरपुर ताप बिजली घरक 110, 110 मेगावाटक प्रत्येक इकाई के भेल द्वारा जीर्णोद्धार आ आधुनिकीकरणक काज कायल गेला के बाद ओतय स बिजली उत्पादन जारी अछि, जे एनटीपीसी और बिहार स्टेट पावर होल्डिंग कंपनी लिमिटेडक संयुक्त उपक्रम अछि।