आंगनवाड़ी सुपरवाइजर 20 हजार रुपैया घूस लैत गिरफ्तार

    0
    353

    पटना, मिथिला मिरर: बख्तियारपुर मे विजिलेंसक टीम आंगनबाड़ी सुपरवाइजर के घूस लैत रंगल हाथ गिरफ्तार केलक अछि। केन्द्र मे सेविकाक पद पर नियुक्तिक लेल मोनी जोशी घूस लय रहल छल। गिरफ्तार भेल कर्मी बख्तियारपुर स्थित बाल विकास परियोजना पदाधिकारी कार्यालय मे सुपरवाइजर के पद पर तैनात अछि। रिश्वत के ई रकम लखीपुर केन्द्र संख्या तीन पर नियुक्ति बहाली के लेल मांगल गेल छल।

    अहि बातक शिकायत उम्‍मीदवार रेखा देवी’क पति मुकेश कुमार निगरानी विभाग सं केने छल।निगरानी विभाग मामलाक जांच केलक। मामला सही पकड़ल गेला पर विजिलेंस ट्रैप टीमक गठन कय मंजू के गिरफ्तार केलक अछि।