मधुबनी मे आगि लगला सं दर्दनाक हादसा

    0
    268

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक हरलाखी प्रखंड अंतर्गत कौआहा बरही पंचायत के कान्हरपट्टी गाम मे बुधदिन भोर मे दू टा घर मे आगि लागि गेल। जाहि मे बकरी सहित गाय के बछरा के जरि कय मौत भय गेल।

    जानकारीक अनुसार अमानुल्लाह मंसूरी तथा जासीम मंसूरी के घर स लोक सब आगिक लपट उठैत देखलक तहन जाकय लोकक सहयोग सं आगि पर काबू पाओल गेल। टा धरि घर सहित चारि टा बकड़ी तथा एकटा बछराक घर मे जरि कय मौत चुकल छल।

    तत्काल अहि बातक सुचना हरलाखी सीओ के देल गेल, जाहि के बाद सीओ क्षति के आकलन कय उचित मुआबजाक बात कहलनि। लोकक अनुमान अछि जे, घर मे जरि रहल अलाव स आगि लागल अछि।