अगिलग्गी सं पीड़ित परिवारक सुधि लेबाक लेल पहुंचलाह पूर्व केंद्रीय राज्य मंत्री अशरफ फातमी

    0
    290

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: पूर्व केन्द्रीय राज्य मंत्री मो. अली अशरफ फातमी रविदिन मनीगाछी प्रखंडक बघांत गाम पहुंच कए अगिलग्गी सं प्रभावित पीड़ित परिवारक हाल-चाल लेलनि। ओ आश्वासन देलनि जे, राज्य सरकार पीड़ितक मदद करत। ओतहि अहिक लेल जिला आपदा प्रबंधनके अधिकारी सं बात-चीत केलनि आ ग्रामीणकें अगिलग्गी सं सचेत रहबाक सुझाव देलनि। अहि मौका पर हुनकर संग जिला पार्षद राम कुमार यादव, मो. हकीकुल, अमरेश यादव, रजनीश यादव, धर्मवीर, राशिद जमाल आदि मौजूद छलाह।