म्यांमार के राष्ट्रपति केलनि महाबोधि मंदिर मे पूजा

    0
    283

    गया, मिथिला मिरर: म्यांमार के राष्ट्रपति यू थिन क्याव शनिदिन बोधगया पहुँचलाह आ एतय महाबोधि मंदिर मे पूजा-अर्चना केलनि। क्याव एतय दू दिवसीय यात्रा पर आयल छथि। राष्ट्रपति महाबोधि मंदिर मे विशेष पूजा-अर्चना केलनि।

    ओ भगवान बुद्ध के 80 फीट ऊंच प्रतिमा’क पूजा अर्चना करबाक संग एक बर्मीज मोनेस्टरी के सेहो दौरा केलनि। अहि सं पहिने क्याव अप्पन पत्नीक आ 31 सदस्यीय प्रतिनिधिमंडल’क संग विशेष विमान स गया अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डा पहुचल छलाह।

    गया के जिलाधिकारी कुमार रवि जिलाक अन्य वरिष्ठ अधिकारी हवाई अड्डा पर राष्ट्रपतिक अगवानी केलनि।