जयनगर बॉर्डर पर भारी मात्रा मे पकड़ल गेल लावारिस शराब

    0
    278

    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस कुमार ठाकुर: मधुबनीक जयनगर के कमला सीमा चौकीक एसएसबी जवान शुक्रदिन राति अकोन्हा गामक निकट बॉर्डर सं भारी मात्रा मे नेपाली देशी शराब लावारिश हालत मे जब्द केलनि। बीओपी इंचार्ज वेद् प्रकाश नॉटियाल के नेतृत्व मे जवान गस्ती पर छलाह।

    तीन टा तस्कर नेपाल स देशी शराबक खेप लय कय भारतीय सीमा मे प्रवेश कय रहल छल आ कि जबानक हलचल पाबि शराबक बोतल छोड़ि नेपाली सीमा मे भागि गेल। एसएसबी 14 बटालियन जयनगर के प्रभारी समादेष्टा हरेराम साव बतौलनि जे, कुल 1123 बोतल नेपाली शराब जब्द कायल गेल अछि। जब्द शराब उत्पाद बिभाग मधुबनी के सोपि देल गेल अछि।