मधुबनी मे 150 बोतल विदेशी शराब बरामद

    0
    283

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के फुलपरास अनुमंडल कार्यालय के बगल मे बाढ़ि नियंत्रण विभागक जमीन सं थाना पुलिस गुप्त सूचनाक आधार पर खोजबीन कय 150 बोतल विदेशी शराब बरामद केलक अछि। जानकारी दैत थानाध्यक्ष पसनोवर खान कहलनि जे, मुखबिर द्वारा सूचना भेटल जे, अनुमंडल कार्यालय के निकट खेत मे बोरा मे किछु संदिग्ध वस्तु राखल अछि।

    सूचना के आधार पर एसआई मनोज कुमार एवं अजीत कुमार चौधरी’क संग पुलिस बल खोजबीन केलक त आठ बोरा मे बंद गोल्डन ओक नामक 3 सौ 75 एमएल के 150 बोतल शराब भेटल। अहि संबंध मे ककरो गिरफ्तारीक सूचना नहि अछि।