गैस सिलेंडर फटला सं पांचटा घर जरिकए खाक

    0
    514

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: थाना क्षेत्रक झखड़ा पंचायत अंतर्गत वार्ड 11 स्थित पासवान टोलमे रविदिन भोरे एलपीजी गैस सिलेंडर फटला सं एकहि परिवारक पांचटा लोकक घर जरिकए खाक भए गेल। ग्रामीण आ अग्निशामक दस्ताक एलाक बाद काफी मशक्कत सं आगि पर काबू पाओल गेल। अवधेश पासवानकें घरमे गैस सिलेंडर फटला सं अचानक आगि लागि गेल। अहिकेँ बाद बगलक घरमे सेहो आगि पकड़ि लेलक।

    अहिमे अवधेश पासवान समेत पांच लोकक घर जरिकए खाक भए गेल। ओतहि घरमे राखल 2 लाख नकदी एवं अन्न, वस्त्र, आभूषण सहित अन्य उपस्कर जरि गेल। अहि अगिलग्गीमे पांच लाख सं अधिककें संपत्ति जारबाक अनुमान अछि। अग्निपीड़ितमे खोनेलाल पासवान, सुरेश पासवान, अवधेश पासवान, विकास पासवान, राजेश पासवानक नाम शामिल अछि।