युवकक हत्याक बाद आक्रोशित ग्रामीण केलक सड़क जाम

    0
    303

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: वैनी ओपीकें चकले वैनी गामक वार्ड संख्या पांच निवासी स्व. कुलदीप सहनीकें 35 वर्षीय पुत्र संतोष सहनीक पड़ोसी शुक्रदिन जमिकए पिटाई कए देलक। दू दिन तक स्थानीय स्तर पर इलाज करेलाक बाद रविदिन ओकरा दरभंगा लए जाएल गेल, जतए ओकर मौत भए गेल। घटना सं आक्रोशित ग्रामीण सोमदिन वैनी-चंदौली मार्गके कैजिया मोड़क समीप बांस-बल्ला सं घेरकए लगभग पांच घंटा तक यातायात बाधित कए देलक।

    अहि बीच बहुतो थानाक पुलिस पहुंचल मुदा ग्रामीण नहि मानलक। अहि दौरान बहुतो बेर पुलिस सं झड़प सेहो भेल। बादमे सदर डीएसपी बज्र वाहनकें संग पहुँचल। आरोपीक गिरफ्तारी भेल आ पीड़ित परिजनकें मुजावजाक राशि देल गेल, तहन लोक मानलक।

    प्रखंड प्रमुख रविता तिवारी, उप मुखिया वृजनंदन ठाकुर, सरपंच पति मुन्ना शर्माक संग एसडीपीओ तनवीर अहमद आक्रोशित लोकके समझा-बुझाकए जाम समाप्त करेलनि। पूसा बीडीओ लक्ष्मण कुमार मृतक युवकक मां बिंदी देवीकें समाजिक कल्याण योजनाक तहत 20 हजार रुपैयाक चेक एवं कबीर अंत्येष्ठी योजनाक तहत तीन हजार रुपैयाक चेक प्रखंड प्रमुख एवं अन्य जन प्रतिनिधीके समक्ष देलनि।